उन्माद

From Wikisource
Jump to navigation Jump to search
उन्माद
by महावीर झा वीर

शिशुताक अन्त रजनीमे
उन्माद उठल किछु मनमे।
किछु मधुर-मधुर सन ज्वाला
अनुभूति भेल हृत्तलमे।

उर उमड़ि उठल आनन्दक
अति तरंग तरंगित शरणी।
तहँ थिरकि रहल छल अनुखन
मानस स्वतन्त्र तर तरणी।

कत कामनाक कलिका लय
रचि रंग-विरंगक माला।
कय कलित हृदय हम पौलहुँ
आशाक मधुर मधु प्याला।

कन्दर्प-दर्प-जित सुखमा,
पवनहुसँ सबल कलेवर।
बनि गेल ससीम असीमो
प्रज्ञा मानस अभ्यन्तर।

अति-उच्च अगम गिरिमाला,
मरु-महिक तीव्रतर ज्वाला।
दुस्तर पथ पारावारक
दव-दबित विपिन भयकारक।
क्रोधान्ध पन्नगक फणसँ
मद-मत्त महागज गणसँ-
हरि हृद्य करब मणिमाला
छल सहज मानसक ज्वाला।

ऋतुपति केर रुचिर प्रभाती
आ ग्रीष्मक सायं-सुखमा।
घन-घोर घोष मारुत युत
वर्षाक निशीथ निरुपमा।

उन्मुक्त चन्द्रिका चर्चित
शर्वरी श्वेत शुभ वासा।
ओ हास्यमयी हेमन्ती
सन्ध्या हिम बिन्दु विलासा।

हम चलब ऐँठि जग-मगमे श्री शारदाक प्रिय सुत भय।
अवलोकि अलौकिक वैभव रहि जायत विश्व चकित भय।
ई रहल कखन कहिया तक उन्माद जड़ित जग जीवन।
बीतल बस स्वप्न सदृश सब, बनि गेल शान्त सन्ध्या सन।
टुटि गेलजखन ओ मस्ती, नहि ऊठि सकैं छल एँड़ी।
देखल यदि पलक उठा कै, छल पड़ल पैरमे बेड़ी॥


This work is now in the public domain because it originates from India and its term of copyright has expired. According to The Indian Copyright Act, 1957, all documents enter the public domain after sixty years counted from the beginning of the following calendar year (ie. as of 2024, prior to 1 January 1964) after the death of the author.